• Maps of Bihar1
  • Culture of Bihar2
  • Durga Puja3
About UsCouncilMembershipEventsPublicationsUpload ArticlesContact UsContact Us
मिथिलाक प्रसिद्ध गाम (बनगाँव)  
प्रिय मिथिला बंधूगण आय हम अपने सभक बिच ओय प्रसिद्ध गाम (बनगाँव) जिला - सहरसा के चर्चा करे चाहे छी ! जै गाम में बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई (बाबाजी) केँ विभुतिपाद के रश्मि विकसित भेल छलैन ! आयो ओय गाम काँ बाबाजीक गाम कहल जैत अछि
Submited by:    Total Hits: 3511

प्रिय मिथिला बंधूगण आय हम अपने सभक बिच ओय प्रसिद्ध गाम (बनगाँव) जिला - सहरसा के चर्चा करे चाहे छी ! जै गाम में बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई (बाबाजी) केँ विभुतिपाद के रश्मि विकसित भेल छलैन ! आयो ओय गाम काँ  बाबाजीक गाम कहल जैत अछि ! बनगाँव में बाबा अपन विराट कुटिया में आयो विराजमान छलाह ! मिथिलाक इ प्रसिद्ध गाम - बनगाँव, सहरसा जिला (मुख्यालय) सँ ८ की.मी पश्चिम में स्थित अछि ! बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई (बाबाजीक) महिमासँ सिचल एय गाम में दिन दूना, रैत चौगुना प्रगति भोs रहल अछि ! इ गाम  एक सँ बढ़ीकेँ एक आईआईटी, आईएएस, आईपीएस, अधिकारी मिथिलाकेँ प्रदान केना छले !  दार्शनिक स्थल में जते एय गाम के "बाबाजी कुटी" प्रसिद्ध अछि, ओते गाम में विराजमान एक सँ बैढ़केँ एक विराट मंदिर सभ गामवासी के श्रद्धा काँ अपन-आप में पिरोना छैन ! बनगाँव गाममें बाबाजी कुटी पर बाबा लक्ष्मीनाथक विराट मंदिर के संग अनेको विशाल मंदिर मौजूद अछि ! जेना की ठकुरवाड़ी, श्री कृष्ण मंदिर, महादेव - पार्वती मंदिर, हनुमान मंदिर .......बाबाजी कुटीसँ कनि पुरव गेला पर  माँ बिष्हरा मंदिर, बिष्हरा मंदिरसँ उत्तर दिसा में गेला पर माँ भगवती आर माँ काली के विराट मंदिर छैन ! ओय सँ आगा पुरव दिसा में (चौक) पर माँ सरस्वती विराजमान छली ! अई प्रकारे यदि देखल जायतँ पुरे बनगाँव गाम एक धर्म-स्थल के समान अछि ! हम सभ मिथिलावासी  बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई (बाबाजीसँ) निक जेका परिचित छी ! औजस्कल (पहलवानी) युग में परिब्राजक बाबा लक्ष्मीनाथ बनगाँव गाममें  पधारने रहथिन ! हुनकर गठित स्वास्थ्य देखकेँ की युवक की बुजुर्ग सभ हर्ष पूर्वक हुनकर बनगाँव गाम में स्वागत केलखिन ! स्वागत एय हेतु नै केना रहथिन की ओ (बाबा) महान साधू या योगी रहथिन स्वागत के पछा सभ ग्रामीण काँ अथाह विश्वास रहैन की यदि हुनका निक जेका खिलेल - पिलेल जेतैन तँ एक दिन ओ निक पहलवान बनता ! बाबा बहुत जल्दी सभ गामवासी के संग हिल - मिल गेलैथ ! बाबा चिक्कादरबर (कब्बडी), खोरी, चिक्का छुर-छुर देहाती खेलक निक खेलाड़ी मानल जैत रहैथ !  ओय समय बनगाँव गाम में दूध - दहीकेँ बाहुल्य छल ! एक धनी-मनी सज्जन हुनका दूध पिबई के लेल एक निक गो (गाय) द् देलखिन ! ओ सज्जन छलाह स्वर्गीय श्री कारी खाँ ! बाबा के लेल सभ गामवासी ठाकुरवाड़ी के प्रांगन में एक पर्ण कुटी बनेलैथ जे आयो आस्था आर धर्म स्थल के तौर पर प्रख्यात अछि ! बाबा ओनातँ परसरमा के रहिवासी रहैथ मुदा बेसी काल ओ बनगाँववे में रहैत रहैथ ! कारण बनगाँव के लोक बहुत सीधा - साधा आर महात्मा सभ में श्रद्धा राखे वला रहथिन ! बनगाँववे में हुनका "विभुतिपाद" के रश्मि विकसित भेलैन ! बनगाँववे में लगभग १८१९ ईo सँ बाबा ब्रजभाषा आर मैथिली में कविता लिखब सुरु केना छलाह जे आयो हमरा सभ के बिच गीतावलीकेँ रूप में मौजूद अछि ! बाबा द्वारा लिखल दोहा, चौपाई आर गीत अपने गीतावली में देख सकैत छलो ! बाबा योगी के अद्दभुत अवतार रहथिन ! आयो बनगाँव गाम में बाबा के कुतियाँ में रोगी आर बन्ध्याओ के ताँता देखल जे सकैत अछि ! लोग हुनकर मंदिर सँ प्राप्त नीर सँ लाभ उठबैत छैथ ! बाबा यथासाध्य सबहक दुःख दूर करै छथिन ! हम सब बनगाँव वासी के ह्रदय में बाबा आयो बसल छैथ ! संगे ओई पवित्र बाबा के भूमि में जन्म लकेँ  हम सब ग्रामवासी अपना आपकेँ गर्वान्वित महसूस करैत छलो ! प्रेम सँ कहू जाय बाबा लक्ष्मीनाथ, जाय बाबाजी  .........................
 
 
जखन बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई (बाबाजीकेँ) चर्चा अपने लोकेन के बिच केना छी तँ हुनका द्वारा रचित एक वंदना सेहो प्रस्तुत करे चाहब ...........
 
 
 
~~~~ * गुरु वन्दना *~~~~
 
 
प्रथम देव गुरु देव जगत में, और न दूजो देवा !
 
गुरु पूजे सब देवन पूजे, गुरु सेवा सब सेवा !!ध्रुब!!

 

गुरु ईष्ट गुरु मन्त्र देवता, गुरु सकल उपचारा !
 
गुरु मन्त्र गुरु तंत्र गुरु हैं, गुरु सकल संसार !!१!!
 
 

 

गुरु आवाहन ध्यान गुरु हैं, गुरु पंच विधि पूजा !
गुरु पद हव्य कव्य गुरु पावक, सकल वेद गुरु दूजा !!२!!

 

गुरु होता गुरु याग महायशु, गुरु भागवत ईशा !
गुरु ब्रह्मा गुरु विष्णु सदाशिव, इन्द्र वरुण दिग्धिषा !!३!!
 

 

विनु गुरु जप तप दान व्यर्थ ब्रत, तीरथ फल नहिं दाता !
लक्ष्मीपति' नहिं सिद्ध गुरु विनु, वृथा जीव जग जाता !!४!!
 
 
जय मैथिली, जय मिथिला, जय बाबा लक्ष्मीनाथ (बाबाजी)
 
 
जितमोहन झा (जितू)
बाबूजीक नाम: श्री बैद्यनाथ झा
ज्येष्ठभ्राता: श्री पिताम्बर झा (पिंटू)
ग्राम/पोस्ट-बनगाँव, पूबाइ टोला (खौंआरे)
जिला - सहरसा (बिहार), पिन - ८५२२१२
HISTORY OF MAITHILI FILMS: A BIRD'S EYE VIEW
किन्तु करि की ? किन्तु करि की ?
THE FLOOD
TDS Deduction
The King With Four Wives
Life Mantra
AAU NAV BHARAT NIRMAN KARU
DAHEJ
HYO SAJAN JeBAI NAI HAMRA CHORI K
Yaad Aati Hai, Bahut Yaad Aati Hai
Historical Perspective of Madhubani
Garib Rath The Train
Patna Museum
!! BHOJH
(Videha, Mithila,Tirbhukti, Tirhut) and Maithili Language
मिथिलाक इतिहास -प्रोफेसर राधाकृष्ण चौधरी
Sanjay Jha: top paid CEO of America
The Science of Chhath
शुभ-दीपावली
मिथिलाक प्रसिद्ध गाम (बनगाँव)
Mithila aur mathil - kalhi aur aaee
Mithilak Beti
ENGLISH IN BIHAR

Read more