• Maps of Bihar1
  • Culture of Bihar2
  • Durga Puja3
About UsCouncilMembershipEventsPublicationsUpload ArticlesContact UsContact Us
गॊनू झा पहुंचला नर्क  
एक बॆर कॆ बात अछी, हम यानी की जय चन्द्र झा और गॊनू झा दुनू गॊटॆ अप्पन खॆत दॆखअ जाइत रही
Submited by: जय चन्द्र झा   Total Hits: 2036

एक बॆर कॆ बात अछी, हम यानी की जय चन्द्र झा और गॊनू झा दुनू गॊटॆ अप्पन खॆत दॆखअ जाइत रही | ऒही बिच मॆं हम अप्पन एकटा नया मॊबाइल फॊन सॆहॊ खरीदनॆ रही, गॊनू झा कहला जॆ कनी अप्पन मॊबाइल दॆखाउ, हम कहलियैन जॆ लिय दॆखू | एही बिच मॆं एकटा घास कॆनहार गॊनू झा कॆ खॆत मॆं घास क रहल छलैन | गॊनू झा ऒकर डटलखिन जॆ तूँ हमरा खॆत मॆं घास कियैक क रहल छैँ | संयॊग बस गॊनू झा कॆ डाँट सुनी कॆ ऒही व्यक्ति कॆ मृत्यु भ गॆलैय | मृत्यु कॆ किछु समय बाद यमराज सॆहॊ पहुँइच गॆलैय | तही काल मॆं यमराज कॆ लैपटाँप कॆ सॊफ्टवॆयर मॆं किछु गड़बरी कॆ कारण ऒ गलती स गॊनू झा कॆ जिवतॆ मॆं नर्क ल क चली गॆलैन | संयॊग स हमर मॊबाइल हुनका लग मॆं छुइट गॆल |

हम काफी परॆशान भॆलौअं जॆ इ की भ रहल छैन गॊनू झा कॆ साथ | घर बहुत दुखी मौन स घर पहुँच क$ भौजी कॆ कहलियैन जॆ गॊनू झा कॆ जिवतॆ मॆं यमराज ल क चइल गॆलैन | बस की छल भॊनू झा छौरी कॆ गाँव मॆं सब क्यॊ धुखी भ गॆल | समूचा गाँव मॆं कन्नारॊहट चलितॆ छल की हमर दूरभाष पर रिंग सुरु भ गॆल | जा क$ दुरभाष उठैलौन त गॊनू झा रहैथ | ह‌म‌ पूछ‌लियैन‌ गॊनू बाबू की हाल‌ स‌माचार‌ त‌ क‌ह‌ला जॆ य‌म‌राज‌ त‌ ह‌म‌रा जिब‌तॆ उठा क‌ ल‌ जा र‌ह‌ल‌ अछी यौ की क‌हू एकरा त‌ ब‌हुत‌ पैघ‌ धॊखा भ‌ र‌ह‌ल‌ छैक‌ |

ह‌म‌ पूछ‌लियैन‌ जॆ अप‌नॆक‌ अख्ख‌न्न‌ क‌हाँ छी त‌ क‌ह‌ला जॆ अख्ख‌न‌ ह‌म‌ वैत‌र‌णी न‌दी पार‌ क‌रॆ ब‌ला छी | ध‌न्य‌ ई भार‌त‌ संचार‌ कॆ मॊबाइल‌ अछी जॆ गाँव‌ मॆं त‌ आहाँ कॆ नैय‌ काज‌ क‌ र‌ह‌ल‌ छ‌ल‌ लॆकिन‌ एही ज‌ग‌ह‌ प‌र‌ ब‌हूत‌ सुन्द‌र‌ काज‌ क‌ र‌ह‌ल‌ अछी |

3 दिन‌ बाद‌ गॊनू झा कॆ पून: दूर‌भाष‌ आय‌ल‌ जॆ यौ आब‌ न‌र्क‌ प‌हूँच‌ गॆनौअं | गॊनू झा कहला जॆ अख्खन किछू व्यस्त छी हम आहाँ कॆ बाद मॆं पून: फॊन करैत छी | (नॊट गॊनू झा कॆ बि.एस.एन.एल. कॆ मॊबाइल छलैन जॆ की धरती छॊईर क बाँकी सबतैर काज करैत अछी |)

आब गॊनू झा जख्खन नर्क मॆं दॆखलखिन जॆ की कॆना लॊक रहैत छैक त हूनका बहुत खराब लगलैन | वॊ दॆखलखिन जॆ यमराज कॆ दूत लॊक सब स कार्य करबा रहल छैक और बदला मॆं ऒकरा किछू नैय भैटैत छैक | नर्क मॆं कॊनॊ नियम कानून छैकॆ नैय यमराज और यमदूत सब कॆ लॆल | ऒ सब नर्क वासी कॆ जिबन कॆ गूलामॊ स बदतर बना दॆनॆ छैक |

दू चाइर दिन बात यमराज स भॆंट करबा लॆल नर्क निरीक्षण विभाग कॆ किछू पदाधिकारी सब आयल | ऒ सब निरीक्षण कॆ क्रम मॆं दिखलकैन गॊनू झा कॆ, गॊनू झा कॆ दॆख क ऒ पहूँचल यमराज लग | यमराज ऒही समय मॆं अप्पन लॆपटाँप मॆं मॆनकादिग्रॆट.काँम दॆख रहल छल | निरीक्षण दल इ सब दॆख क दँग रही गॆल | निरीक्षण दल कॆ इ गलती कॆ पता अपनॆ आप चली गॆलैय | ऒ जख्खन कहलकैन जॆ आहाँ त गॊनू झा कॆ जिवतॆ अईन लॆलीयैन हैँ जबकी हुनकर मूत्यु त मशहूर हिन्दी फिल्म कलाकार‌ आफताब शिवदासनी कॆ हिट फिल्म एतैय तख्खन हॊबॆ बला छैन |

यमराज कॆ अप्पन गलती कॆ अहसास भॆलैय | वॊ तुरत गॊनू झा स संपर्क कॆलक और हुनक कहलकैन जॆ आहाँ स हम गलती कॆ लॆल माँफी चाहैत छी, आहाँ चलू आहाँ कॆ हम पूरा सम्मान कॆ साथ पून: धरती पर छॊइर दैत छी |

लॆकिन गॊनू झा नर्क मॆं यमराज कॆ सम्राज्य स काफी खफा रहैत, ऒ सॊंचला जॆ आब एतूका साम्राराज्य‌ और यमराज कॆ दादागिरी खत्म क कॆ दम लॆब | ऒ कहलखिन जॆ हम अख्खन धरती पर नैय जायब‌ | यमराज हूनका स ज्यादा जॊड़ जबदस्ती सॆहॊ नैय क सकैत छल कियाक त ऒकर प्रभाव‌ सिर्फ मृत्यु कॆ बादॆ हॊइत छैक, जबकी गॊनू झा त जिबतॆ नर्क पहूँच गॆल रहथिन |

(भाई लॊकैन‌ एही क‌हानी मॆं अख्ख‌न‌ ब‌हूत‌ किछू बाँकी अछी जॆना की, गॊनू झा य‌म‌राज‌ कॆ साम्राराज्य‌ कॆना ख‌त्म‌ कॆल‌खिन‌, मिडीया एक‌रा कॊन‌ रुप‌ स‌ लॆल‌क‌, मिथिलाइव‌ और‌ एक‌र‌ टिम‌ कॆ प्रविण‌ झा जी, अविनाश‌ जी, म‌म‌ता जी और‌ लॆख‌क‌ स‌ब‌ की क‌ह‌ला, की लिख‌ला, इ स‌ब‌ ह‌म‌ अगीला अंक‌ मॆं ब‌ताय‌ब‌ ब‌हूत‌ ज‌ल्द‌ | ताबैत‌ धैर‌ अप‌नॆक‌ लॊकैन‌ ब‌न‌ल‌ र‌हू मिथिलाइव‌ कॆ सँग  म‌नॊरंज‌न‌ और‌ स‌माचार‌क‌ लॆल‌ | )

अप‌नॆक‌ लॊकैन‌ कॆ गॊनू झा कॆ किस्सा क‌हानी कॆह‌न‌ लागैत‌ अछी सॆ ज‌रुर‌ ब‌ताय‌ब‌ | अहाँक‌ प्रतिक्रिया ह‌म‌र कलम‌ लॆल‌ प्राण‌वायू कॆ काज‌ क‌रैत‌ अछी |

HISTORY OF MAITHILI FILMS: A BIRD'S EYE VIEW
किन्तु करि की ? किन्तु करि की ?
THE FLOOD
TDS Deduction
The King With Four Wives
Life Mantra
AAU NAV BHARAT NIRMAN KARU
DAHEJ
HYO SAJAN JeBAI NAI HAMRA CHORI K
Yaad Aati Hai, Bahut Yaad Aati Hai
Historical Perspective of Madhubani
Garib Rath The Train
Patna Museum
!! BHOJH
(Videha, Mithila,Tirbhukti, Tirhut) and Maithili Language
मिथिलाक इतिहास -प्रोफेसर राधाकृष्ण चौधरी
Sanjay Jha: top paid CEO of America
The Science of Chhath
शुभ-दीपावली
मिथिलाक प्रसिद्ध गाम (बनगाँव)
Mithila aur mathil - kalhi aur aaee
Mithilak Beti
ENGLISH IN BIHAR

Read more